==="सभी लोगों के लिए अच्छी खबर" -(हिंदी,বাঙালি,తెలుగు,मराठी,தமிழ்,اردو,ગુજરાતી,ಕನ್ನಡ,മലയാളം,ଓଡ଼ିଆ,ਪੰਜਾਬੀ,Ôxômiya,etc.)-संख्या से सर्वाधिक बोली जाने वाली भाषाओं (१-१२) भारत में // (Hindi,,Bengali,Telugu,Marathi,Tamil,Urdu,Gujarati,Kannada,Malayalam,O

Episode 1: Maithili Christian Praise.3gp


Listen Later

मैथिली ईसाई स्तुति.3gp //1 कोरिन्‍थी 15यीशु मसीहक सुसमाचार1. यौ भाइ लोकनि, आब हम अहाँ सभ केँ ओहि सुसमाचारक स्‍मरण करबैत छी जकर प्रचार हम अहाँ सभक बीच कयने छलहुँ, जकरा अहाँ सभ मानि लेलहुँ आ जाहि पर अहाँ सभक विश्‍वास आधारित अछि। 2. जँ अहाँ सभ ओहि वचन पर अटल रहैत छी जे हम अहाँ सभ केँ सुनौने छी, तँ एहि सुसमाचार द्वारा अहाँ सभक उद्धार अछि। नहि तँ अहाँ सभक विश्‍वास कयनाइ व्‍यर्थ भेल।3. कारण, जे बात हमरा भेटल तकरा हम मुख्‍य सत्‍यक रूप मे अहाँ सभ लग पहुँचा देलहुँ, अर्थात्‌ ई जे, मसीह धर्मशास्‍त्रक भविष्‍यवाणीक अनुसार अपना सभक पापक प्रायश्‍चित्तक लेल मरलाह, 4. गाड़ल गेलाह, धर्मशास्‍त्रक भविष्‍यवाणीक अनुसार तेसर दिन जिआओल गेलाह 5. आ पत्रुस 15:5 मूल मे, “कैफा”। “पत्रुस” (यूनानी भाषा) और “कैफा” (इब्रानी भाषा) एके नाम अछि। केँ देखाइ देलथिन आ तखन बारहो मसीह-दूतक समूह केँ सेहो। 6. तकरबाद ओ एके समय मे पाँच सय सँ बेसी भाइ सभ केँ देखाइ देलथिन। ओहि मे सँ अधिकांश आइओ जीवित अछि, ओना तँ किछु लोक मरिओ गेल अछि 15:6 अक्षरशः “सुतिओ रहल अछि”। 7. बाद मे ओ याकूब केँ आ फेर सभ मसीह-दूत लोकनि केँ देखाइ देलथिन, 8. आ अन्‍त मे हमरो देखाइ देलनि, मानू जे हम असमयक जन्‍मल लोक छी।9. हम ई एहि लेल कहलहुँ जे हम मसीह-दूत सभ मे सभ सँ छोट छी आ मसीह-दूत कहयबा जोगरक सेहो नहि छी, कारण हम परमेश्‍वरक मण्‍डली पर अत्‍याचार कयने छी। 10. मुदा हम जे किछु छी से परमेश्‍वरक कृपा सँ छी आ हमरा पर जे हुनका द्वारा कृपा कयल गेल से व्‍यर्थ नहि भेल। हम आन सभ मसीह-दूत सँ बढ़ि कऽ परिश्रम कयलहुँ—ओना तँ हम नहि कयलहुँ, बल्‍कि ई परमेश्‍वरक ओहि कृपा द्वारा भेल जे हमरा पर रहल। 11. चाहे हम होइ वा ओ सभ होथि, हम सभ केओ एही सुसमाचारक प्रचार करैत छी आ एही पर अहाँ सभ विश्‍वास कयने छी।
...more
View all episodesView all episodes
Download on the App Store

==="सभी लोगों के लिए अच्छी खबर" -(हिंदी,বাঙালি,తెలుగు,मराठी,தமிழ்,اردو,ગુજરાતી,ಕನ್ನಡ,മലയാളം,ଓଡ଼ିଆ,ਪੰਜਾਬੀ,Ôxômiya,etc.)-संख्या से सर्वाधिक बोली जाने वाली भाषाओं (१-१२) भारत में // (Hindi,,Bengali,Telugu,Marathi,Tamil,Urdu,Gujarati,Kannada,Malayalam,OBy Tze-John Liu